पटना। कोरोनाबन्दी (Corona Lockdown) के बाद दोसर राज्य स अपन घर वापस आएल प्रवासी श्रमिक के मुख्यमंत्री ग्राम परिवहन योजना के लाभ भेट सके अछि। बिहार सरकार के परिवहन विभाग के सचिव संजय अग्रवाल कहला कि जे प्रवासी मजदूर दोसर राज्य में वाहन चला क’ परिवारक’ भरन – पोषण करैत छलाह , ओहन व्यक्ति के आब अपन वाहन होयत आओर मुख्यमंत्री ग्राम परिवहन योजना (Bihar Government Scheme) स सीधा हुनका रोजगार के अवसर भेटत।

अप्रवासी मजदूर लगातार एही योजनाक’ लाभ उठा रहल छैथ। पिछला किछु दिन में विभिन्न जिला के 8000 स अधिक व्यक्ति एही योजना के तहत अपन आवेदन डी चुकला। ग्राम परिवहन योजना के तहत सीतामढ़ी स 298, पटना स 441, औरंगाबाद स 326 वैशाली स 426, मधुबनी स 359, सारण स 349, समतीपुर स 331, पूर्वी चंपारण स 316, गया स 310 लोक आवेदन दैला।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here